बेरोजगारीक मुद्दा पर प्रधानमंत्री आ मुख्यमंत्री केँ घेरलनि पप्पू यादव, पूछलनि- बिना नौकरी आ रोजगार कोना आत्मनिर्भर बनत बिहार

0
879

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे आगामी विधानसभा चुनाव केँ ल’ राजनीतिक बयानबाजी शुरू भ’ चुकल अछि। एहन मे एक दल दोसर पर आरोप-प्रत्यारोप क’ रहल अछि। एही कड़ी मे सोमदिन पटना स्थित जाप कार्यालय मे भेल प्रेसवार्ता मे जाप केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष पप्पू यादव जमि क’ प्रधानमंत्री मोदी आ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर भरास निकालनि। पप्पू यादव कहलनि जे मोदी आ नीतीश दुनू मिल क’ बिहारक जनता केँ मुर्ख बना रहल अछि। मोदी जी नौटंकीबाज छथि आ बेर-बेर पैकेज केँ घोषणा क’ बिहारक गरीब जनता केँ मखौल उड़ा रहल छथि। एक दिस नीतीश कुमार काज करबाक दम भरि रहल छथि आ काजक नाम पर चुनाव लड़बाक बात कहला अछि। हम चुनौती दैत छी जे अकेले चुनाव लड़ी क’ देखौथ औकाद पता चलि जेतनि। नीतीश कुमार केँ आड़े हाथ लैत कहलाह जे नीतीश मात्र नालंदा केँ मुख्यमंत्री अछि आ ओहो एकटा जाति विशेष केँ। नालंदा के बाहर हुनका किछु नै देखाई दैत छनि।

ओतहि प्रधानमंत्री सँ सवाल कएलनि जे अहाँ बिहारक जनता केँ मखौल किएक उड़ा रहल छी। आत्मनिर्भर बिहार बनेबाक बात करैत छी। कोरोना काल मे करीब 15 लाख बिहारी केँ नौकरी चलि गेल। एतबे नहि करीब 3 लाख छोट व्यापारी केँ व्यापार बंद भ’ गेल। बिना रोजगार आ नौकरी बिहार केँ कोना आत्मनिर्भर बनायब। जँ हिम्मत अछि त’ सुशील मोदी के चेहरा पर चुनाव लड़ी केँ देखाउ। पता चलि जायत जमीनी हकीकत। पैकेज केँ नाम पर बिहार केँ ठकबाक काज बंद करू। पहिने जतेक घोषणा केने छी तकर भुगतान कएल जाए।

रघुवंश प्रसाद सिंह केँ निधन पर सवाल ठाढ़ करैत कहलाह जे चुनाव केँ समय मे मात्र मोदी आ नीतीश कुमार केँ याद अबैत छथिन। एहि सँ पहिने कहाँ सुतल छलाह। की नीतीश कुमार हुनका जतेक गाइर आ फेज्ज्ती केने छथि सार्वजनिक रुपेँ माफी मँगताह। ई बात सही अछि जे जतेक सम्मान लालू यादव हुनका देलनि हुनक परिवार नहि द’ सकल।

शिक्षा आ रोजगार पर बात करैत पप्पू यादव कहलनि जँ जाप केँ सरकार बनत त’ शिक्षा, रोजगार आ पर्यटन पर बेसी काज कएल जायत। बिहार मे पर्यटन केँ असीम संभावना अछि आ हम सत्ता मे आयब त’ तीन साल केँ भीतर बिहार केँ नंबर एक पर्यटन स्थल बना देब। जाहि सँ रोजगारक अवसर बढ़त आ पलायन पर रोक सेहो लागत।