बरसातक शुरुआतहिंमे भेल सड़कक हाल बेहाल

    0
    323

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: शहरमे जलनिकासी आ सड़कक स्थिति बरसातक शुरुआतेमे सामने आबि गेल अछि। मंगलदिन भेल मामूली वर्षामे जलजमाव व कीचड़ सं ताजपुर बाजारक सड़क पर पैदल चलब मुश्किल भेल अछि। खासकए बाजारक मुख्य मार्ग शंकर टॉकीज सं लए एनएच 28 सं मिलान करए वला सड़कक स्थिति दयनीय अछि।

    अहि सड़कक आसपास बहुतो निजी स्कूल आ बहुतो कोचिंग संस्थान चलि रहल अछि। फल मंडी, नर्सिंग होम, लाइब्रेरी, आदि सेहो अहि सड़कक कात चलाओल जा रहल अछि। अहि रस्ते दूर देहात सं छोट-छोट बच्चा स्कूल आ कोचिंगमे पढ़ाई करबाक लेल अबैत अछि। ऐहेनमे एकर बदहाली स्थानीय प्रशासन आ जनप्रतिनिधीकें संवेदनशीलता पर प्रश्न चिन्ह लगैत अछि।

    क्षेत्रक सांसद आ विधायक सेहो बहुत बेर अहि रस्ते जा चुकल छथि, मुदा ककरो ध्यान सड़कक बदहाली दिस नहि जाइत अछि। एतबे नहि कतेको बेर स्थानीय लोक आ व्यापारी सांसद एवं विधायक सहित प्रखंड आ जिला प्रशासन तककें आवेदन दए सड़क मरम्मतकें गुहार लगा चुकल अछि, मुदा अहि दिशामे कोनो पहल नहि भेल अछि।