मध्याह्न भोजन खेला सं 87 गोट बच्चाक मोन खराब

    0
    268

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: प्रखंड क्षेत्रक प्राथमिक विद्यालय अकबरपुर पितौझियामे बुधदिन मध्याह्न भोजन खेबाक बाद 87 गोट बच्चा बीमार पड़ि गेल। सूत्रक अनुसार मध्याह्न भोजनमे गिरगिट खसि पड़ल छल, जकरा बिना देखने बच्चा सब खा लेलक। जाहिकें बाद बच्चा सभक स्थिति खराब होबए लागल। एकटा बच्चाक मां स्कूलक प्रधानाध्यापककें खिचेड़मे गिरगिटक माँथ सेहो देखेलनि।

    बेहोसीकेँ बाद बच्चा सबके सदर अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल। जतय डॉक्टर तत्परता सं इलाज शुरू केलक अछि। सब 87 गोट बच्चाकेँ वार्डमे सुताओल गेल अछि। ओपीडीके बंद दवाई काउंटरकें खुलवाकए बच्चाकेँ दवाई देल गेल। इलाजक बाद बच्चाकेँ होशमे एला पर अस्पताल सं छुट्टी देल गेल। विद्यालय सं प्राप्त जानकारीके अनुसार विद्यालयमे बुधदिन मध्याह्न भोजनमे खिचैड बनल छल। जे भोजन बच्चा सब केने छल। कनिये कालमे किछु बच्चा बेहोश होबय लागल, जकरा बाद सबकें अस्पताल आनल गेल छल।