आइ बॉलीवुडमे मिथिलाक नाम रौशन केनिहार अभिनेता नरेंद्र झा के जन्म दिन छैन्ह

    0
    288

    दिल्ली, मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झा: ओना त आब मिथिला-बिहार सँ बहुत अभिनेता आ अभिनेत्री बॉलीवुड दिस देगा बढ़ा सफलताक बाट पर अग्रसरित भेलाह अछि मुदा पूर्वमे जखन बहुत गोटे मिथिलाक माइट-पानिकें बॉलीवुडमे नहि सिंचित केने छलाह ओहि समय मधुबनी जिलाक कोईलख गाम सँ बम्बई जेवाक स्वप्न नरेंद्र झा देखलैन्ह। सफ़र सहज नहि रहितो अपन कठीन परिश्रमक बल पर आइ नरेंद्र झा बॉलीवुडमे ओहन अभिनेताक श्रेणीमे ठाढ़ छैथ जिनकर अभिनयक धमक दूर तक सुनल जा सकैत अछि।
    प्रारंभमे नरेंद्र झा मॉडलिंग सं शुरुआत कय फेर हिन्दी धारावाहिक होइत बॉलीवुड डिस अपन डेग बढ़ेला।

    नरेंद्र झा केर चर्चित हिन्दी धारावाहिक मे युद्ध, हवन आ बेगूसराय सहित कतेको अन्य नाम अछि। तहिना राज्यसभा टीवीक चर्चित कार्यक्रम संविधान मे मोहम्मद अली जिन्ना केर किरदार दीर्घकाल तक स्मरणमे राखल जाइत। एकरा अलावे दक्षिण भारतीय सिनेमामे सेहो हिनकर धमक रहलनि अछि।

    बॉलीवुड मे नरेंद्र झा’क मुख्य सिनेमा हमारी अधूरी कहानी, हैदर, घायल वन्स अगेन, शोरगुल, मोहन जोदड़ो आ अन्य शामिल अछि। आबै वला फ़िल्म मे रईस, माय फ़ादर इक़बाल, फ़ोर्स 2 आ अन्य शामिल अछि।

    नरेंद्र झा केर साक्षात्कार सुनवाक लेल मिथिला मिरर केर यूट्यूब चैनल पर जाइ। मिथिला मिरर टीमकें दिस सं सेहो नरेंद्र झा कें जन्म दिनक हार्दिक बधाई।