पिंडारूछ मे भेल ‘मायक आंचर हाॅकर सं चेयर तक’ पुस्तकक विमोचन

    0
    471

    दरभंगा-मिथिला मिररः बृहस्पति दिन अर्थात 9 जून 2016 कऽ दरभंगा जिलाक पिंडारूछ गाममे प्रसिद्ध रंगकर्मी एवं पिंडारूछ पंचायतक पूर्व मुखिया शिवकांत झा द्वारा लिखित पुस्तक ‘मायक आंचर हाॅकर सं चेयर तक’कें लोकार्पण कैल गेल। अपराजिता रतिकांत मेमोरियल ट्रस्ट पिंडारूछ, दरभंगाक प्रांगणमे अहि पुस्तकक विमोचनक कार्यक्रममे विभिन्न विद्वान लोकनिक उपस्थिति छलनि। पूर्व न्यायाधीश रूक्मिण कांत चैधरीक अध्यक्षतामे आयोजित अहि कार्यक्रमक मुख्य अतिथि डाॅ. अशोक कुमार मेहता छलाह। अपन अध्यक्षीय भाषणमे डाॅ. मेहता कहला जे अहि पुस्तककें किछु दिनक बाद अहि गामक दस्तावेजक रूपमे देखल जाएत।
    तहिना विशिष्ठ अतिथिक रूपमे कार्यक्रममे उपस्थिति आकाशवाणीक दरभंगाक उद्घोषक एवं साहित्कार मणिकांत झा कहला जे किताब लिखवाक लेल कोनो विशेष डिग्री आवश्यकता नहि होइत छैक अहि बातक प्रमाण अहि किताबक लेखक दय देलाह अछि। संगहि लेखक बेबाकी सं अपन संस्मरणें सेहो अहि पुस्तक मे नीक जेना प्रस्तुत कैयने छथि। तहिना कार्यक्रममे आईआईटीक पूर्व प्राध्यापक श्रीश चैधरीक कहलाजे समाजमे शिक्षा भए रहल हा्रस समाजक खातिर नीक नहि अछि। तहिना स्थानीय मध्यविद्यालयक प्रधानाध्यापिका संतोष चैधरी अपन वक्तव्य रखैत समाजक प्रबुद्ध लोक सं सामाजिक शिक्षा व्यवस्थामे अपन सहभागिताक देवाक बात कहली। कार्यक्रममे और बहुत रास वक्ता आ गणमान्य व्यक्तिक उपस्थिति रहैन।