दरभंगा मे मेगा क्विज कॉन्टेस्टक आयोजन

    0
    295

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक लहेरीयासराय स्थित एस. आर. कोचिंग सेंटर मे मेगा क्विज कॉन्टेस्टक आयोजन कायल जा रहल अछि। जाहि मे विभिन्न प्रतियोगी परीक्षाक तैयारी कर रहल छात्र छात्रा भाग लेताह।

    आयोजक इंजिनियर निशांत व सहयोगी आदित्य कुमार कर्ण कहलनि जे, परीक्षा तीन समूह मे लेल जायत। प्रवेश शुल्क 20 रुपैया राखल गेल अछि आ प्रत्येक समूह सं प्रथम श्रेणी मे उत्तीर्ण छात्र के 2000 रुपैयाक प्रथम पुरस्कार, 1500 रुपैयाक द्वितीय व 500 रुपैयाक तृतीय पुरस्कार देल जायत।

    अहि के अलावा 25 सान्त्वना पुरस्कार देल जायत। 15 वर्ष बाद दरभंगा के क्विज मास्टर अमरेश कुमार स्टेज प्रोग्राम के दिन उपस्थित रहताह।