प्रेम-प्रसंग मे दियर आ भाउज केलक आत्महत्या

    0
    282

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: बिहारक पूर्णिया मे प्रेम प्रसंग मे दियर आ भाउज आत्महत्या कय लेलक अछि। घटना बायसी थाना क्षेत्रक चरैया गाम के अछि। मृतक विशालक भाई सनी के अनुसार मृतका के अप्पन भाउज संग प्रेम प्रसंग चलि रहल छल। दूनू पहिने त बुधदिन घर छोड़ि कय भगबाक योजना बनौलक मुदा बाद मे विशाल अप्पन वादा सं मुकरि गेल।

    अहि के बाद भाउज माधुरी घर मे फांसी लगाकय खुदकुशी कय लेलक। बेटीक मौत के बाद माधुरी के नैहरक लोक ससुराल वला के जेल भेजबाक धमकी देबय लागल आ समझौता करबाक एवज मे पांच लाख रुपैयाक मांग केलक। अहि सं परेशान भय दियर विशाल रविदिन गाछ सं लटकि कय खुदकुशी कय लेलक।

    पुलिस फिलहाल मामलाक छानबीन कय रहल अछि। बायसी थानाध्यक्ष के अनुसार मरय सं पहिने सुसाईड नोट सेहो लिखलक जाहि मे लिखल छल जे, प्रेम प्रसंग के कारण दूनू खुदकुशी केलक।