पटनाकें जी वी मॉलमे लागल भीषण आगि, लाखोक संपत्ति खाक

    0
    279

    पटना, मिथिला मिरर: शनिदिन भोरे राजधानी पटनाक एकटा मॉलमे आगि लागि गेल। पटनाके पॉश इलाका बोरिंग रोड स्थित व्यवसायिक कॉमप्लेक्स जी वी मॉलमे लागल अहि भीषण आगि लाखोक संपत्ति जरि कए राख भए गेल। अगिलग्गीक अहि घटनामे कोनो प्रकारक जानक नुकसान नहि भेल अछि।

    जानकारीके अनुसार आगि भोरमे करीब पौने पांच बजे लागल। बोरिंग रोड चौराहा पर स्थित अहि मॉलमे लागल आगि चारि फ्लोर्सकें अपन चपेटमे लए लेलक। आगिक भयावहताक कारण मौका पर भारी अफरातफरी मचि गेल आ आसपासक लोक सेहो अपन घर सं बाहर निकलि गेल।

    मॉलमे लागल अहि भीषण आगि सं लाखोक संपति नुकसान हेबाक अनुमान अछि। जाहि मॉलमे आगि लागल अछि ओहिमे बहुतो कंपनीके शो रूमके अलावा व्यवसायिक आ शैक्षणिक संस्थान अछि। घटनाक जानकारीके बाद स्थानीय पुलिस मौका पर पहुंच कए फायर ब्रिगेडक गाडी बजेलक। आगिक कारणक एखन धरि पता नहि चलल अछि।