मुजफ्फरपुरक घटना : आरोपी ब्रजेशसँ भेटल मोबाइल नंबर, अनेको सफेदपोश बेचैन

0
782

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर : जेलमे बंद ब्रजेश ठाकुरसँ अनेको हाई प्रोफाइलक मोबाइल नम्बर भेटल अछि। सूत्रकेँ मुताबिक नाम आ मोबाइल नम्बरक जे लिस्ट सीबीआईकेँ  हाथ लागल अछि  ओहिमे अनेको मंत्री, विधायक आ अफसरक नाम शामिल अछि। लिस्टमे वीवीआईपीक नाम भेलाक कारणे अधिकारी गोपनीयता राखि रहल अछि। बताओल जा रहल अछि जे सीबीआई मुजफ्फरपुर जिला प्रशासनसँ संबंधित जानकारी मँगलक अछि , संभावना अछि जे जल्दीये सीबीआई आ मुजफ्फरपुर पुलिस ओहि नंबर सभक जाँच शुरू करत। एहि मामला पर पुलिस आ सीबीआइ  दुनू चुप्पी सधने अछि, जाहि कारणसँ अनेकों सफेदपोश बेचैन भेल छथि। शनिदिन जेलमे ब्रजेशकेँ तलाशी लेने छल जाहिमे  दूटा कागज पर लिखल 40टा वीवीआईपीकेँ  नम्बर प्रशासनके भेटल छल। एहि नम्बरमे राजनीतिक रसूखबलासँ ल’क’ अनेको बड़का अफसर सभक नंबर शामिल अछि। अनेको विधायक आ  राजनीतिक दलसँ जुड़ल नेता सभक संग मुजफ्फरपुर आ पटनामे तैनात अफसर सभक नाम आ मोबाइल नम्बर सेहो ब्रजेशसँ बरामद भेल। बरामद कागज पर आम लोकक नाम आ नम्बर सेहो भेटल जे संभवत: ब्रजेशकेँ जानय बला भ’ सकैत छथि  एहन अनुमान लगाओल जा रहल अछि। सीबीआई ब्रजेशसँ भेटल सभ मोबाइल नम्बरक कॉल डिटेल्स रिकार्ड (सीडीआर) निकालबाक तैयारीमे अछि। सीडीआर निकालबाक दूटा मकसद भ’ सकैत अछि पहिल जे ओ पता लगाओत जे मोबाइल नम्बर वाकई हुनके सभक छनि जिनकर नाम ओहि कागज पर लिखल अछि आ दोसर  इ जे हुनका सभक बातचीत ब्रजेशसँ होइत छलनि आ कि  नै। जँ सूत्रके मानी त’ मुजफ्फरपुर स्थित बालिका गृहक तलाशीमे सीबीआईकेँ किछु अहम दस्तावेज सेहो हाथ लागल अछि जाहिमे समाज कल्याण विभाग आ एनजीओक बीच भेल पत्राचारक कॉपी शामिल अछि। एहि चिट्ठी सभसँ सीबीआइकेँ बहुत किछु हाथ लागि सकैत अछि  जेना कहिया आ किएक एनजीओ या विभागके तरफसँ चिठ्ठी लिखल गेल आ दुनू केँ  बीच पत्राचारमे की जबाब देल गेल।