दरभंगा पुलिसक बर्बर कार्रवाईक विरूद्ध एमएसयू निकाललक मौन प्रतिकार मार्च

    0
    398

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिला स्टूडेंट यूनियन रविदिन दिल्लीक कनॉट प्लेस स्थित इंडियन कॉफी होम सं जंतर-मंतर धरि दरभंगा पुलिस द्वारा कैल गेल बर्बर लाठी चार्जक विरोधमे मौन प्रतिकार रैली निकालि अपन विरोध जतौलक। रविदिन जानकी नवमी हेवाक बादो बेस रास संख्यामे युवा लोकनिक जुटानी कार्यक्रममे देखना गेल। ज्ञातव्य हो जे मिथिलामे बंद पड़ल चीनी मिलकें पुनः चालू करवाक मांगक ज्ञापन दय लेल जेवाक क्रममे दरभंगा पुलिस द्वारा एमएसयूक कार्यकर्ता लोकनि कें निर्दय जेना पीटल गेल छलनि संगहि हुनका लोकनिकें हिरासतमे लय नानान तरहक धारा सेहो लगा देल गेल छल।
    दरभंगा पुलिसक कार्रवाई आ बिहार सरकारक रवैयाक विरूद्ध निकालल गेल शांतिपूर्ण मौन प्रतिकार रैलीमे एमएसयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष कमलेश मिश्र, नीतीश कर्ण, रौशन मैथिल, अरविंद मिश्र ‘शंकर’, मोनिकांत शर्मा, आनंद कुमार, राजा रॉय, रणधीर कुमार झा, विजय कुमार झा, संजय पंडित, राहुल चौधरी,  आशीष कुमार मिश्रा, सुजीत कुमारर मिश्रा, संतन ठाकुर, राहुल कुमार चौधरी, बिजय कुमार झा, आकाश कुमार झा, संतोष झा, दीपक चौधरी, कुंदन कुमार रॉय, अविनाश वर्मा, प्रशांत भारद्वाज, अनीश झा, धीरज मिश्रा, रजनीश झा, कमलेश कुमार झा, मुकुंद चौधरी, संगीत अमन चौधरी, सुभाष पासवान, मुकेश यादव, सत्तो यादव सहित अन्य व्यक्ति छलाह। समस्त कार्यकर्ता लोकनि मुंहमे कारी पट्टी बांधि प्रतिकार जतौलनि। बादमे सेंट्रल पार्कमे बैसार सेहो भेल।