पहिने पागक लेल ललायित रही, आब पाग पहिर गौरवान्ति महसूस कऽ रहल छीः रजनी

    0
    285

    दिल्ली-मिथिला मिररः मैथिली भाषा सं संघ लोक सेवा आयोग केर परीक्षा पास करय वाली प्रथम मैथिलानी महिला रजनी झा मिथिलालोक पाग पहिर भावूक भय गेलीह। मिथिलालोक फाउंडेशन आ डॉ. बीरबल झा केर द्वारा रजनी कें पाग, दोपटा, पुष्प गुच्छ आ प्रमाण पत्र दय शुक्रदिन राइतमे सम्मानित कैल गेलनि। सम्मान ग्रहण केलाक बाद रजनी झा कहली जे जखन हम 2014मे संघ लोक सेवा आयोगक परीक्षामे सफल नहि भ सकल रही, आ ओहि साल सफल छात्र लोकनिकें जखन पाग-दोपटा सं सम्मानित कैल गेल रहनि तखन हमरा ओहि मनोरम दृश्यकें देखि सेहेन्ता होइत छल जे हमहूं कहियो पाग पहिरतौ।
    मुदा फेर एकटा बात मोनमे अवैत छल जे एखन धरि मिथिलामे मैथिलानीक माथा पर पाग नहि देल जाइत छल मुदा डॉ. बीरबल झा आ मिथिलालोक फाउंडेशनक आभार हम कोन तरहें प्रकट करी से नहि कहि। आई अपना माथ पर पाग देखि मोनमे अति प्रसन्नता सेहो अछि आ मोन भीतर सं भावुक सेहो भय रहल अछि। रजनी कहली जे मिथिलाक इ पाग हमर सम्मानित त केवे केलक लेकिन अहिकें धारण केलाक बाद समाजक प्रति हमर जिम्मेदारी आओर बेसी बढ़ि जाइत अछि।
    मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा केर द्वारा पूछल गेल सवाल जवाब दैत रजनी कहली जे सब सं पहिने डॉ. बीरबल झा केर धन्यवाद ज्ञापन करय चाहवनि जे ओ एकटा नव प्रयास कऽ रहल छथि, संगहि इहो कहि दी जे आब मैथिलानी सेहो शिक्षा आ विभिन्न तरहक गतिविधिमे अपना आपकें आगू आनि रहल छथि आ समाजक संरचना मे अपन बहुमुल्य योगदान देवाक लेल तैयार छथि। आब ओ दिन दूर नहि अछि जे मैथिलानी शिक्षा आ अपन कार्य कुशलताक मादे अपन अधिकार आ समाजमे अपन एकटा अगल पहिचान बनेवामे सफल हेतीह।