समस्तीपुर मे भानस करय काल सिलेंडर फाटला सं साउस-पुतौह झड़कल

    0
    281

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: भानस करय काल सिलेंडर फटला सं साउस-पुतौह झड़कि गेल। परिवारक लोक आनन-फानन मे दूनू के सदर अस्पताल मे इलाजक लेल भर्ती करौलक अछि। जतय चिकित्स पुतौह रूबी पांडेय के दरभंगा रेफर कय देलक अछि। ओतहि साउसक सदर अस्पताल मे इलाज जारी अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, मोहिउद्दीनपुर निवासी आशीष पांडेयक पत्नी रूबी पांडेय भानस करबाक लेल सिलेंडर खोललक आ चूल्हा मे सलाय धरेलक कि सिलेंडर ब्लास्ट कय गेल। देखते-देखैत रूबी पूरा झड़कि गेल। रूबी के बचेबाक लेल आयल साउस मानवी देवी सेहो झड़कि गेली।

    परिजन द्वारा आनन-फानन मे दूनू के इलाजक लेल सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल। जतय सं रूबी के दरभंगा रेफर कय देल गेल।