भागलपुर मे अपहरणकें धंधा करयवला डॉक्टर गिरफ्तार

    0
    329

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहारक भागलपुर जिलाक सुलानगंज स्थित नाथनगर मे एकटा सरकारी डॉक्टर के अपहरण कय फिरौती मांगबाक आरोप मे गिरफ्तार करबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि।अपहरण कय फिरौती मांगबाक आरोप मे बाथ थाना पुलिस मंगलदिन सुलतानगंज के नाथनगर स्थित रेफरल अस्पतालक प्रभारी डॉ अनिल कुमार सिंह के गिरफ्तार केलक अछि। डॉ सिंह’क गिरफ्तारी बरियारपुर स्थित निजी क्लिनिक अंकुर नर्सिंग होम सं कायल गेल अछि।

    बाथ थाना पुलिस के अनुसार खानपुर निवासी बबीता देवी पति मुकेश मंडल के अपहरण कय फिरौती मांगबाक आरोप लगबैत डॉ अनिल कुमार सिंह के अलावा विनोद मंडल उर्फ झिंगला मंडल तथा तीन गोट अज्ञातक खिलाफ मामला दर्ज करौलक अछि।

    डॉ सिंह पूर्व मे रेफरल अस्पताल सुलतानगंज मे पदस्थापित छलाह, पुलिस के देल गेल बयान मे बबीता देवी कहलनि जे, 24 जुलाई 2015 क दौलतपुर निवासी विनोद मंडल उर्फ झिंगला मंडल अप्पन तीन-चारि सहयोगिक संग घर स हमर पति के जबरदस्ती बोलेरो मे बैसा कय लय गेल। अहि के बाद 25 जुलाई, 2015 क दोसर नंबर स फिरॉटिक लेल फोन आयल।