टॉपर घोटाला: लालकेश्वर प्रसाद द्वारा करोड़ोक ठगी उजागर

    0
    303
    पटना, मिथिला मिरर: बिहार टॉपर घोटाला के मास्टर लालकेश्वर प्रसाद आ हरिहरनाथ झा द्वारा गुजरातक प्रिंटिंग कंपनी स करोड़ो रुपैयाक ठगी करबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, फर्जी टेंडरक जरिए ई दुनू, कंपनी स बोर्डक कॉपी मंगेने छल। पुलिस मामलाक जांच जुईट कय पड़ताल शुरू कय देलक।
    टॉपर घोटालाक मास्टरमाइंड बिहार विद्यालय परीक्षा समितिक पूर्व अध्यक्ष लालकेश्वर प्रसाद, पूर्व सचिव हरिहर नाथ झा आ स्टोर कीपर विकास फिलहाल जेल मे छथि। जांच मे हिनका द्वारा गुजरातक प्रिंटिंग कंपनी स तकरीबन 8 करोड़ 56 लाख रुपैया ठकबाक मामला प्रकाशित भेल।
    जानकारीक अनुसार गुजरात स्थित अहमदाबाद निवासी ब्रिजल कुमार भरत भाई शाहक बिंदिया एंटरप्राइजेज नामक कंपनी छन्हि। बोर्डक कॉपीक लेल कंपनी के फर्जी टेंडर जारी कायल गेल, जकरा पूर्णरूपे स्टोर कीपर विकास सम्हारि रहल छल। ओ राजकुमार के नाम स फर्जी ई मेलक जरिए कंपनीक मालिक के टेंडरक सबटा जानकारी देलक। जकरा बाद फर्जी रुपे टेंडर जारी कय देल गेल।
    टेंडर जारी हेबाक पुष्टी के बाद कंपनीक मालिक करीब चारि लाख रुपैयाक उत्तर पुस्तिका विकास के बताओल गेल पता पर पहुंचा देलक। विकास जीरो माइल लग एकटा गोदाम मे उत्तर पुस्तिका मंगेने छल।बताओल जा रहल अछि जे, करीब 24 ट्रक इंटरक उत्तर पुस्तिका गोदाम मे गुजरात स पठाओल गेल आ जहन रुपैया देबाक समय आयल त विकास कंपनीक मालिक के गोल-मोल जवाब देबय लागल। बाद मे कंपनी के पता चलल जे, हमर टेंडर फर्जी रुपे जारी कायल गेल अछि, आ असली टेंडर मथुराक कंपनी के देल गेल अछि।