‘अखिल भारतीय मिथिला पार्टी’ शुरू करत मिथिला राज्यक मांगक लेल हस्ताक्षर अभियान

    0
    258

    दिल्ली, मिथिला मिरर: अखिल भारतीय मिथिला पार्टी शनिदिन सं मिथिला राज्यक निर्माणक लेल हस्ताक्षर अभियानक शुरुआत करय जा रहल अछि। अभियानक शुरुआत शनिदिन समस्तीपुर सं पार्टीक बिहार प्रदेश महासचिव उमेश चन्द्रा भारती आ पार्टीक राष्ट्रीय नेता रत्नेश्वर के अगुआई मे कायल जायत।

    पार्टी अहि अभियान के समुच्चा देश भरि मे चलेबाक निर्णय लेलक अछि। खास क जाहि ठाम मैथिल रहय छथि। अभियानक मुख्य लक्ष्य 30 लाख मैथिल द्वारा हस्ताक्षरित निवेदन महामहिम राष्ट्रपति के सौंपब अछि।