बिहार मैट्रिक-इंटर कंपार्टमेंटल परीक्षा’क परिणाम जारी

    0
    286

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार विद्यालय परीक्षा समिति द्वारा वर्ष 2016 के मैट्रिक आ इंटर कंपार्टमेंटल परीक्षाक परिणाम बृहस्पति दिन साँझ मे जारी कय देल गेल। अहि परीक्षा मे शामिल होबय वला परीक्षार्थी के उत्तर पुस्तिका आॅनलाइन मूल्यांकन कायल गेल अछि। परीक्षा मे कुल दू लाख 78 हजार काँपी जांचल गेल छल।

    ज्ञात हो कि पहिल बेर बिहार विद्यालय परीक्षा समिति दिस सं साॅफ्टवेयर आधारित सिस्टम सं कंपार्टमेंटल परीक्षा लेल गेल छल। अहि के सफलताक बाद वार्षिक परीक्षा 2017 मे सिस्टम सं परीक्षा संपन्न कराओल जायत। जानकारीक अनुसार अहि के लेल पूरा सिस्टम के ऑनलाइन कय देल गेल अछि।

    परीक्षाक लेल निबंधन सं लय क फार्म भरबा तथा काँपी मूल्यांकन के कार्य धरि सब ऑनलाइन कायल जायत। रजिस्ट्रेशन के समय सब विद्यार्थीक डाटा सर्वर पर अपलोड होयत। रोल नंबर के संग रिजल्ट सॉफ्टवेयर पर अपलोड कायल गेल अछि।