मैथिली साहित्य महासभाक दोसर ‘विद्यापति स्मृति व्याख्यानमाला एवं युवा लेखक सम्मान अर्पण समारोहक’ आयोजन

    0
    323

    दिल्ली, मिथिला मिरर: रविदिन 11 सितंबर कय काँन्सटिट्यूशन क्लब के डिप्टी स्पीकर हॉल दिल्ली मे सांझ 3:30 बजे सं 6:30 धरि मैथिली साहित्य महासभाक दोसर ‘विद्यापति स्मृति व्याख्यानमाला एवं युवा लेखक सम्मान अर्पण समारोहक’ आयोजन कायल जा रहल अछि। जकर विषय मैथिली नाटक आ जनसरोकार राखल गेल अछि।

    कार्यक्रम मे वक्त मैथिली नाटकक सुप्रसिद्ध नाम महेन्द्र मलंगिया रहताह, कार्यक्रमक अध्यक्षता सर्वोच्च न्यायालय के पूर्व न्यायाधीश ज्ञानसुधा मिश्र करती। कार्यक्रम मे युवा मैथिली लेखक चन्दन कुमार झा के हुनकर कविता संग्रह ‘गामक सीमान पर’ के लेल सम्मानित कायल जायत।