शहाबुद्दीन के बाद अनिल शर्मा सेहो दोषमुक्त

    0
    297

    वैशाली, मिथिला मिरर: वैशाली के वरिष्ठ राजद नेता विष्णु देव राय के भाई रामदेवन राय आ हुनकर रिश्तेदार दिलीप राय हत्याकांड मे बाहुबली अनिल शर्मा के आय हाजीपुर न्यायालय के अपर सत्र न्यायालय 08 साक्ष्यक अभाव मे दोषमुक्त कय देलक अछि।

    गौरतलब अछि जे, 1993 मे हाजीपुर स्टेशन चौक पर दिनदहाड़े कारबाइन स दू टा लोकक गोली मारिकय हत्या कय देल गेल छल। अहि मामला मे 4 नामजद आ एक अज्ञात के आरोपी बनाओल गेल अछि। जाहि मे बाहुबली अनिल शर्मा पिछला 13 साल स अहि हत्या मामला मे जेल छल।