रालोसपा विधायक केलनि मर्यादाक उल्लंघन, छात्रा सं केलनि अमर्यादित सवाल

    0
    275

    हाजीपुर, मिथिला मिरर: सासाराम के चेनारी सं रालोसपा’क विधायक ललन पासवान छात्रा सं बातचीतक दौरान मर्यादाक उल्लंघन करैत नजरि एलाह। ओ सोमदिन एससी-एसटी छात्रावास मे एकटा छात्राक संदिग्ध मौत के बाद छात्रावासक दौरा करबाक लेल हाजीपुर पहुंचल छलाह।

    अहि दौरान ओ घटनाक विषय मे छात्रा सं बातचीत करबाक दौरान अमर्यादित सवाल करय लगलाह। जहन कि छात्रा विधायक के सवाल सं असहज भय रहल छल। विधायक जांच अधिकारी जेना सवाल पुछय लगलाह आ छात्रा असहज महसूस करैत रहल, तकर बादो विधायक के कोनो संकोच नहि भेल।