मधुबनी मे कारक चपेट मे एबाक कारने दू गोट व्यक्तिक मौत

    0
    281

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक फुलपरास थाना के दिघौल गामक समीप रविदिन एकटा तेज रफ्तार कारक चपेट मे आबिकय दू गोट अज्ञात पैदल यात्री के मौत भय गेल। जहन कि कार मे सवार एकहि परिवारक सब चारि गोटे घायल भय गेल।

    घटना के संबंध बताओल जा रहल अछि जे, सिजौलिया निवासी गनौर सदाय (55) सोतला देवी (53) ब्रह्मपुर जेबाक लेल सड़क के कात मे सवारी के इंतज़ार कय रहल छल। अहि बीच दरभंगा सं मधेपुरा दिस तेज गति सं जा रहल कार जोरदार टक्कर मारि देलक। जाहि सं दुनु के घटना स्थल पर मौत भय गेल।

    फुलपरास थाना प्रभारी सनोवर खान के अनुसार कार दू गोट अज्ञात पैदल यात्री कुचलबाक बाद सड़क कातक गड्ढा मे पलटि गेल। कर मे सवार चारु लोक जख्मी भय गेल। दुर्घटना के बाद कार करीब तीस फीट नीचाँ खाईद मे खसल छल।