‘सक्षम बिहार स्वावलंबी बिहार’ नाराक संग जदयू उतरत चुनावी मैदान मे, नीतीश कुमार कएलनि सात निश्चय भाग-2क ऐलान

0
878

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी हलचल बढ़ी चुकल अछि। हरेक राजनीतिक दल मे घमासान शरू भ’ चुकल अछि। एहन मे जदयू सेहो पूरा दम-ख़म संग चुनावी मैदान मे उतरबाक लेल आतुर अछि। टिकट केँ लेल सेहो घमासान मचल अछि। बिहारक दुनू प्रमुख गठबंधन मे सीट बँटवारा पर माथापच्ची कएल जा रहल अछि। एही बीच जदयू कार्यालय मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पार्टी कार्यकर्ता सँ बातचीत उपरांत मीडिया सँ मुखातिब भेलाह। मीडिया केँ संबोधित करैत कहलनि जे जँ जनता फेर मौका देत त’ फेर एकबेर जनताक सेवा करब।

मुख्यमंत्री कहलनि जे पैछला 15 बरख मे जतेक वादा जनता जनार्दन सँ केने रहि सभके पूरा कएल गेल। ज’ फेर मौका भेटत त’ एहिबेर साथ निश्चय योजनक भाग-2 पर काज करब। मुख्यमंत्री सात निश्चय योजना भाग 2 केँ सविस्तार बतबैत कहलनि जे लगभग यैह चीज घोषणा पत्र मे सेहो शामिल कएल जायत। सात निश्चय भाग 2 मे युवा शक्ति बिहारक प्रगति, सशक्त महिला सक्षम महिला, हर खेत मे सिंचाई लेल पानी, स्वच्छ गांव समृद्ध गांव, स्वच्छ शहर विकसित शहर, सुलभ संपर्कता आ सभक लेल अतिरिक्त स्वास्थ्य सुविधा शामिल कएल गेल अछि। ज’ अगिला सरकार एनडीए केँ बनत त’ निश्चित रूप सँ प्राथमिकता संग काज कएल जायत।

अगिला जीत पर कहलनि जे 2005 सँ जनताक इच्छा देख रहल छी। जनता भगवान स्वरुप होइत छथि, जेहन आदेश देताह स्वीकार करब। जनादेशक अपमान पर जबाब देलनि जे हम पार्टी बदलने रही मुदा योजना संग कोनो समझौता नहि कएल गेल। त’ जनता केँ भरोसा तोड़बाक कोनो गप नहि अछि।

चिराग पर पूछल गेल सवालक जबाब दैत कहलनि जे के की बजैत अछि एहि सभ पर हम ध्यान नहि दैत छी। रामविलास जी सर्वमान्य नेता छथि हुनका संग नीक संबंध अछि। भगवान जल्दी हुनका स्वस्थ करैत एहन कामना करैत छी। हम त’ अपन के की विरोधी तक के सम्मान करैत छी। हमरा लेल पूरा बिहार परिवार अछि आ अहिना किछु खटपट होइत रही छैक।