लालटेन केँ भेलिह लवली, बेटा चेतन आनंद संग राजद मे भेलिह शामिल

0
1382

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी बिगुल बाजी चुकल अछि। विधानसभा चुनाव मे आचार संहिताक घोषणा केँ बाद जोड़-तोड़क राजनीति सेहो शुरू भ’ चुकल अछि। नेता सभ सेहो अपन सुरक्षित ठेकान ढूंढी रहल छथि। एहि बीच एकटा पैघ खबरि अछि जे लवली आनंद बेटा चेतन आनंद संग राजदक सदस्यता ग्रहण क’ लेलनि। बतादी जे लवली आनंद पूर्व सांसद आ बाहुबली नेता आनंद मोहन केँ पत्नी छथि।

बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी सँ हुनक आवास पर भेट कएलाक बाद पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष जगदानंद सिंह आ तेजस्वी यादव हुनका दुद्नु माय बेटा केँ पार्टीक सदस्यता दियौलनि। एही अवसर पर राज्य सत्ताधरी गठबंधन एनडीए पर हमला करैत कहलनि जे एहि चुनाव मे नीतीशक सुफरा साफ भ’ जायत। नीतीश कुमार सुशासन केँ नाम पर बिहार जनता केँ ठकबाक काज क’ रहल अछि। राज्य मे भ्रष्टाचार आ अपराध चरम पर अछि। कानून व्यवस्था नामक कोनो चीज नहि अछि। नीतीश सरकार अपन सभ विरोधी सभके जेल भेज दैत अछि। हर हाल मे राज्यक सत्ता सँ नीतीश कुमार केँ उखारि फेकब आ तेजस्वी केँ मुख्यमंत्री बना क’ रहब। वर्त्तमान सरकार धुर जातिवादक अछि आ ऊँच जातिक संग दुर्व्यवहार करैत अछि। सवर्ण विरोधी अछि नीतीश सरकार।

जनतब दी जे जनवरी महिना मे महाराणा प्रतापक पुण्यतिथि पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आश्वाशन देने छलाह जे चुनाव पूर्व आनंद मोहन केँ जेल सँ रिहाई करेबाक कोशिश कएल जायत। मुदा आचार संहिता लागू भेलाक बादो ओ बाहर नहि आबि सकलाह। तहिक प्रतिरोध मे राजदक संग गेलीह अछि। सियासी गलियारा मे एहन चर्चा चलि रहल अछि जे लवली आनंद अपना लेल आ किछु नजदीकी लोकक लेल राजद सँ टिकट माँगी सकैत छथि। आब देखबाक बात ई होयत जे लवली आनंद केँ पार्टी कहाँ सँ चुनावी मैदान मे उतारत। बिहारक जातिवादी राजनीति मे लवली राजूपतक प्रतिनिधित्व करैत छथि।