मिथिलाक गाम-गामकें ‘अगिलग्गी’ अपन चपेटमे लेने अछि, मणि विशेष-अगिलग्गी

    0
    298

    सगरे मिथिला भोगि रहल अछि अगिलग्गी के मारि
    सोचि लेने छथि अग्निदेव हम एकरा दीयै उजारि
    नित दिन लागै आगि घर मे जरि रहलै गामक गाम
    मिझबय मे लोकक माथा सँ छुटि रहलैया घाम
    घर जरैया चौर जरैया जरि रहलै माल मवेसी
    अनधन लक्ष्मी जा रहली कत्तहु कम कत्तहु बेसी
    रउदा प्रचंड पछबा उदंड मौसम के छै मनमानी
    धार पोखरि सब सुखा रहल छै नहि भेटय कत्तहु पानी
    पूर्वज सब पूजय छलाह सब गामक डीहवार
    गँउआ घरुआ एक मत भय नीपइ छल चिनवार
    आब लागल सब अपना अपनी मे राखय के दोसरक चिंता
    मुँह ताकि रहल सब एक दोसरा के आयल छैक अदिनता
    मिलिजुलि रहियौ सब समाज मे मणि छी मानव संतान
    दस के लाठी बोझ बनबियौ समस्या के हैत निदान ।।
    मणिकांत झा, दरभंगा 

    फोटोः साभार भरत भूषण’क फेसबुक सं