राजनगरमे सब ट्रेनक ठहरावकें मांग तेज़

    0
    426

    मधुबनी, मिथिला मिरर: राजनगर रेलवे स्टेशन पर सब अप एवं डाउन ट्रेनक ठहराव सुनिश्चित करेबाक लेल समाजसेवी व जिला नाई संघक पदाधिकारी गौरी शंकर ठाकुर रेल मंत्री व रेल मंत्रालयकें उच्चाधिकारी सं केलनि अछि। ठाकुर कहलनि जे, राजनगरमे सब ट्रेनक ठहराव नहि भेला सं रेल यात्रीकें काफी परेशानी होईत अछि।

    ओ दरभंगा सं खुजय वला सब ट्रेनक विस्तार जयनगर तक करबाक सेहो मांग केलनि अछि। रेल यात्रीक सुविधाकें लेल राजनगर स्टेशनके दुनू प्लेटफार्मक उंचाई बढेबाक, प्लेटफार्म नंबर एककें यात्री शेडक विस्तार करबाक, प्लेटफार्म नंबर दू आ तीन पर यात्री शेडक निर्माण करबाक, अहि स्टेशन पर फुट ओवरब्रीज बनेबाक मांग रेलवेक उच्चाधिकारी सं केलनि अछि।