एमसीडी चुनावकें मद्देनजर दिल्लीमे नीतीश कुमारक बैसक

    0
    242

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्लीमे एमसीडी चुंमावक मद्देनजर धीरे-धीरे सब पार्टी एकबेर फेर सं दिल्लीक रुख केनाइ शुरू कए देलक अछि। दिल्लीमे कोनो तरहक चुनाव हो, छोट सं छोट पार्टी अहिमे अप्पन भाग्य अजमेबाक लेल मैदानमे उतरि जाइत अछि। एहेनमे शुक्रदिन यदयूकें राष्ट्रीय अध्यक्ष आ बिहारकेँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो एमसीडी चुनावक मद्देनजर दिल्लीमे पार्टीक बैसक केलनि।

    सूत्रक अनुसार, बैसकमे एमसीडी चुनावमे अधिक सं अधिक सीट पर चुनाव लड़बाक रणनीति अपनाओल गेल। जाहिमे मुख्यरूप सं पूर्वांचली मतदाताकें आकर्षित करबा पर जोर देल गेल। सूत्रक अनुसार अहि चुनावमे जदयू 272 गोट एहेन सीट पर प्रत्यासी उतारबाक रणनीतिकें तहत काज कए रहल अछि, जाहि पर पूर्वांचली मतदाताक पकड़ हो।

    अहि चुनावक लेल नीतीश कुमार सेहो किछु रैली करबाक लेल दिल्ली आबि सकैत छथि। सूत्रक अनुसार अहि चुनावमे पार्टीकेँ मुख्य मुद्दा दिल्लीमे पानि आ बिजलीक समस्या सं लोककें अवगत करेबाक रहत। पार्टीक अहि बैसकमे नीतीश कुमारकें अलावा जदयू नेता संजय झा, व्यवसायी दयानंद राय सहित दर्जनों नेता भाग लेलनि।