सकरी- बिरौल रेलखंड पर दस दिनसँ ट्रेनक परिचालन ठप्प

0
568

दरभंगा, मिथिला मिरर: सकरी-बिरौल रेलखंड पर विगत दस दिनसँ रेल परिचालन ठप्प रहबाक कारण आब स्थानीय लोकसभ रेल प्रशासनक विरुद्ध उग्र आंदोलन करबाक बात क’ रहल अछि। लोकक कहब छनि जे बैगनी हाल्ट निर्माण संघर्ष समिति आ जगदम्बा हाल्ट निर्माण संघर्ष समिति द्वारा नवादा आ बैगिनीमे ट्रेन रोकबाक माँगकेँ ल’ क’ आंदोलन कएल जा रहल अछि। एहि कारण समस्तीपुर रेलवेक डीआरएम पछिला 15 अगस्तसँ एहि रेलखंड पर ट्रेनक परिचालन पर रोक लगा दरभंगा जिलाधिकारीसँ एहि संबधमे एकटा रिपोर्ट देबाक बात कहलनि अछि। जिलाधिकारीक निर्देश पर विगत एक सप्ताह पहिले एसडीओ दूनू  संघर्ष समितिक सदस्य सभकेँ अनुमंडल कार्यालयमे बजा कुनो एक जगह पर ट्रेन रोकबाक लेल सहमति बनेबाक कोशिश कएने छलाह। एहि बैठकमे जगदम्बा हाल्ट निर्माण संघर्ष समितिक मुखिया बमबम झाक नेतृत्वमे सदस्य लोकनि सेहो भाग लेने छल मुदा बैंगनी हाल्ट संघर्ष समितिक सदस्य सभ एहिमे भाग नहि लेलाह। जाहि कारणसँ दूनू संघर्ष समितिक सदस्यकेँ बीच आपसी सहमति नहि बनि सकल तकरा बाद एसडीओ अपन रिपोर्ट जिलाधिकारीकेँ पठौलनि आ जिलाधिकारी ओहि रिपोर्टकेँ डीआरएम समस्तीपुरके भेज देलथि। आब रिपोर्ट पठेलाक बादो डीआरएम द्वारा एहि रेलखंड पर ट्रेनक परिचालन नहि शुरू भेलासँ आम जनता रेल प्रशासनक विरुद्ध उग्र आंदोलन करबाक चेतावनी देलक अछि । नवादासँ बैंगनी गामक दूरी दू किलोमीटर अछि आ नवादासँ बेनीपुर-बलहा हाल्टक दूरी तीन किलोमीटर अछि। लोक सभक कहब छनि जे बलहा हाल्ट पर उद्घाटन कालसँ ट्रेन रुकैत छल। बलहा हाल्टसँ  दू-तीन किलोमीटर पर  ट्रेन रुकवाके सरकुलर रेलवे बिभागक पास छनि। रेलवे विभागकेँ  स्पष्ट क’ अविलंब एहि रेलखंड पर ट्रेनक परिचालन शुरु करबाक चाही। दू गामक बीच द्वन्दसँ बेनीपुर आ विरौल अनुमंडलक सैकडों गामक लोक रेल परिचालन बंद होयबासँ परेशान छथि आ उग्र आंदोलन करबाक बात क’ रहल छथि। स्थानीय जनप्रतिनिधि लोकनिक कहब छनि जे एहि रेल खंड पर 10 दिनसँ रेल परिचालन ठप्प अछि आ रेल मंत्री कुंभकर्णी निद्रामे सूतल छथि। एहि पूरा घटनाक्रम पर सांसद कीर्ति आजाद सेहो नाराजगी जतौलनि अछि।