मिथिला सहित पूरा देशमे धूमधामसँ मनाओल गेल राखी

0
408

मधुबनी/कटिहार, मिथिला मिरर : रविदिन 26 अगस्तकेँ मिथिला सहित देश भरिमे भाई-बहिनक प्रेमक पावनि राखी बड्ड धूमधाम आ हर्षोल्लासक संग मनाओल गेल। भोरेसँ छोट-छोट बच्चा सभमे खास उमंग देखल गेल आ  रंग-बिरंगक कपड़ा पहिर हाथमे आरतीक थारी ल’ अपन-अपन भाइ सभकेँ राखी बन्हैमे व्यस्त देखल गेल। बहिन सभ अपन भाइकेँ कुमकुम अक्षत केर टीका लगा हाथ पर राखी बन्हलीह आ भाईकेँ दीर्घायु हेबाक कामना सेहो केलीह। कतौ भाई अपन बहिन लग गेलाह त कतौ बहिन लोकनि अपन भाईक घर जाइत देखेलथि। बहिन सभ भाईक कलाई पर स्नेहक डोर बान्हि हुनकासँ अपन रक्षाक वचन सेहो लेलनि। भोरेसँ राखी आ मिठाईक दोकान पर भीड़ लागल छल। बच्चा सभमे उत्साहक माहौल छल, बच्चा सभ टैडीवियर, छोटा भीम आ इलेक्ट्रानिक राखी कीनैत देखल गेल। साओनक पूर्णिमा आ राखी पावनिक कारण मंदिर सभमे भोरेसँ पूजा-अर्चनाक लेल भीड़ देखल गेल। भक्त लोकनि भगवान शंकर आ दुर्गा माँ पर राखी चढ़ौलनि संगहि फूल, बेलपत्र चढ़ा परिवारक सुख-शांतिक लेल प्रार्थना सेहो केलनि। यातायातक सभ सवारी जेना ट्रेन, बस, ऑटो रिक्शा आदिमे खचाखच भीड़ देखल गेल। एहि बेरक राखीक खास बात रहल जे पूरा दिन सवार्थ सिद्धि योगक संयोग बनल रहल आ भद्राक साया सूर्योदयकेँ  पूर्वही खत्म भ’ गेल छल जाहि कारणसँ एहि बेर पूरा दिन राखि बन्हबाक लेल शुभ छल। जीवन जागृति सोसायटी कटिहारक सिसया स्थित इंडो तिब्बत फौज बटालियन नंबर 48 पर तैनात जवान सभकेँ सेहो बहिन सभ राखी बन्हलीह ओतहि जवान लोकनि देश रक्षाक वचन देलाह। ओतहि राजनगरमे सेहो सीमा पर तैनात एसएसबी नारी, करियौत, थरूआही, अंधरामठ आदि कैम्पकेँ जवान सभकेँ आस-पड़ोसक ग्रामीण महिला आ स्कूली छात्रा सभ राखी बन्हलथि।