शिक्षा व्यवस्थाक प्रति सरकार अखनो गंभीर नहि

0
428

मधुबनी, मिथिला मिरर: शिक्षा आजुक समयमे कतेक महत्वपूर्ण अछि, सभ कियो जनैत छी। एहनमे जँ बच्चा सभकेँ नीक शिक्षा नै भेटत त’ निश्चित रुपें ओकर भविष्य संग खिलवाड़ थिक। शिक्षा बच्चा सभक मूलभूत अधिकार छैक। एहनमे जँ हज़ारों बच्चाक शिक्षासँ मजाक होइन ई कथमपि उचित नै। एहने सन एकटा मामला सामने आयल अछि मधुबनी जिलाक बेनीपट्टीसँ। सरकारक लापरवाही आ शिक्षा विभागक उदासीनताक कारण सीता मुरलीधर प्लस टू उच्च विद्यालय बसैठ बदहालीक दौरसँ गुजरि रहल अछि। एहि उच्च विद्यालयमे जतय संसाधनक घोर अभाव अछि, ओतहि सरकारी खराब व्यवस्थाक खामियाजा बच्चा सभकेँ भुगतय पड़ी रहल छनि। सीता मुरलीधर प्लस टू उच्च विद्यालय बसैठमे जतय कुल 1225 छात्र-छात्रा पढ़ैत छथि, ओतहि मास्टरक कुल संख्या 15 अछि। एतबे नहि मात्र दूटा कमरामे बारह सौ पच्चीस बच्चा पढ़य लेल विवश छथि। उच्च विद्यालय बसैठक’ स्थापना 1951 ई0 मे भेल छल। सीता मुरलीधर उच्च विद्यालयकेँ साल 2008 ई. मे प्लस टू क’ दर्जा भेटल आ साल 2009 मे प्लस टू विद्यालय भवनक निर्माण लेल 39 लाख 50 हजार रुपैया आवंटित कएल गेल। मुदा भवन निर्माणक काज ससमय नहि भेलाक कारण 2011 मे विद्यालय भवनक नाम पर आवंटित राशि वापिस चली गेल।

ई थिक समस्या

सीता मुरलीधर प्लस टू उच्च विद्यालय बसैठमे संसाधनक घोर अभाव अछि। प्लस टू उच्च विद्यालय लग भवनक भारी अभाव अछि। ओतहि मात्र दूटा कमरामे बैसक’ 1225 बच्चा-बचिया सभ पढ़बाक लेल विवश छथि। जखन कि एहि उच्च विद्यालयमे पूर्वमे बनल एक दर्जन कमरा क्षतिग्रस्त आ जर्जर भ’ खंडहरमे बदलि गेल अछि। विद्यालय लग पाँच बिघाक विशाल भूखंड छनि। स्कूलक चारो तरफ बाउन्डरी तक नै अछि, शौचालयक हालत बदसँ बदतर अछि, छात्रावास ध्वस्त भ’ गेल अछि, कम्पयूटर शिक्षाके कोनो व्यवस्था नहि अछि, एकटा चापाकल अछि जे बेसी काल खराबे रहैत अछि। बच्चा सभकेँ पानि तक नै भेट पबैत अछि। एहि विद्यालयमे मास्टरक कमी अछि। एहि विद्यालयमे अँग्रेजी आ सामाजिक विज्ञान विषयक शिक्षक नहि रहलासँ बच्चा सभके बहुत कठिनाईकेँ सामना करय पड़ैत छनि। इ स्कूलक आलम इ अछि जे आदेशपाल त’ दूटा छथि मुदा किरानी एकोटा नहि। बरसातक दिनमे विद्यालय भवनक छतसँ पानि टपकैत अछि जाहि कारण पठन-पाठन व्यवस्था प्रभावित होइत अछि। प्रभारी प्रधानाध्यापक गजाला प्रवीण कहैत छथि जे विद्यालयक समस्याकेँ संबंधमे कतेको बेर शिक्षा विभागक पदाधिकारि लोकनिकेँ चिठ्ठी लिखने छथि मुदा समस्या जशकेँ तश बनल अछि। ओतहि संसाधनक अभावमे परेशानीक दंश झेलय परि रहल अछि। जखन जिला शिक्षा पदाधिकारीसँ एहि संबंधमे बात कएल गेल त’ डीइओ राम कुमार कहलनि सीता मुरलीधर प्लस टू उच्च विद्यालयकेँ विकसित करबाक काज चलि रहल अछि। प्रधानाध्यापककेँ प्रबंध समितिक बैठक क’ विद्यालयकेँ विकसित कएल जेबाक दिशामे निर्देश देल गेलनि अछि।एहन मे सवाल उठैत अछि जे आखिर शिक्षा व्यवस्थामे एतेक कमी किएक। बच्चा सभक जिनगीसं खिलवाड़ कतेक उचित अछि ई एकटा गंभीर सवाल ठाढ़ करैत अछि