महागठबंधनक हिस्सा बनत सीपीआई(एमएल), सीट बँटवार पर बातचीत शुरू : धीरेन्द्र झा

0
492

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी तापमान बढ़ल जा रहल अछि। हरेक राजनीतिक दल अपन-अपना हिसाबे गोटी सेट करबा मे जुटी गेल अछि। बिहार मे दुटा प्रमुख गठबंधन दल अछि। चुनावी टक्कर एहि दुनू गठबंधन केँ बीच हेबाक संभावना अछि। ओना तेसर गठबंधन यूडीए सेहो बनल अछि मुदा हुनक की राजनीतिक समीकरण छनि अखनि धरि स्पस्ट नहि अछि। खबरि अछि जे आगामी विधानसभा चुनाव मे वाम दल मे सँ एक भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी (माक्र्सवादी-लेनिनवादी) धीरेंद्र झाक नेतृत्व मे महागठबंधनक हिस्सा बनत। धीरेन्द्र झा जानकारी देलनि अछि जे सोमदिन साँझ मे राष्ट्रीय जनता दलक राज्य प्रमुख जगदानंद सिंह आ पार्टीक वरिष्ठ नेता भोला यादव सँ भेँट भेलनि आ सीट पर सेहो बातचीत भेलनि। भेंटवार्ताक बाद धीरेन्द्र झा एहि बातक औपचारिक घोषणा कएलनि जे सीपीआई (एमएल) महागठबंधनक हिस्सा बनत आ चुनाव लड़त।

बतादी जे महागठबंधन केँ कुनबा बढ़ेबाक लेल राजद लगातार प्रयास मे लागल अछि। एहि कड़ी मे सीपीआई(एमएल) केँ हिस्सा बनाओल गेल अछि। जानकारी केँ मुताबिक बिहार मे एनडीएक मुकाबला करबाक लेल नव समीकरण बनाओल जा रहल अछि। ओना मालूम होयत जे पैछला सप्ताह राजद संग किछु मुद्दा पर सहमति नहि बनला पर अकेले चुनाव लड़बाक धमकी देल गेल छल। मुदा आब मिल बसि मुद्दा सुलझेबाक इशारा देल गेल अछि। हालाँकि आब बिहार मे वाम दलक स्थिति नीक नहि अछि। पैछला तीन चुनाव मे वाम दल कोनो नीक प्रदर्शन नहि क’ सकल। लिहाजा कोनो गठबंधन बेसी भाव देबाक पक्ष मे नहि अछि।

बतादी जे एहि सँ पूर्व सीपीआई आ सीपीआई (मार्क्सवादी) सन अन्य वामपंथी पार्टि पहिने सँ  महागठबंधन संग चुनाव लड़बाक घोषणा क’ चुकल अछि। हालाँकि जाहि तरहें पार्टी सीटक माँग क’ रहल अछि ओही स्थिति मे 4-5 सीट सँ बेसी भेटब मुश्किल देखना जा रहल अछि। किएक त’ 2015 केँ चुनाव मे महज 1.5 प्रतिशत वोट भेटल छल।  ओना धीरेन्द्र झा कहलनि अछि जे एनडीए केँ सत्ता सँ बेदखल करबाक लेल पार्टी कोनो हद तक समझौता क’ सकैत अछि।