बिहार विधानसभा चुनाव मे राजद केँ समर्थन करत समाजवादी पार्टी : अखिलेश यादव

0
978

पटना/लखनऊ, मिथिला मिरर : बिहार मे आगामी विधानसभा चुनाव केँ ल’ राजनीतिक गहमागहमी तेज भ’ चुकल अछि। 15 साल सँ सत्ता पर काबिज एनडीए केँ हरेबाक लेल विपक्ष लगातार अपन कुनबा बढ़ेबा मे जुटल अछि। बिहार मे चुनावी लड़ाई एनडीए बनाम महागठबंधन होई वला अछि एहने बुझना जा रहल अछि। महागठबंधन बेसी सँ बेसी दलक संग चुनावी मैदान मे उतरबाक योजना पर काज क’ रहल अछि। एहि केँ तहत उत्तर प्रदेशक समाजवादी पार्टी ऐलान कएलक अछि। समाजवादी पार्टी बिहार चुनाव मे राष्ट्रीय जनता दलक उम्मीदवार केँ समर्थन देबाक ऐलान कएलक अछि। समाजवादी पार्टी ट्वीट क’ ई जानकारी देलक अछि।

सपा प्रवक्ता अनुराग भदौरिया कहलनि अछि जे सभ आब चाहैत अछि जे बिहार मे जाहि तरहक नफरत केँ राजनीति भ’ रहल अछि, ओही पर विराम लगबाक चाही। भारतीय जनता पार्टी आ जेडीयू बेरोजगार केँ रोजगार देबा मे असफल रहल अछि। जाहि तरहें राज्य मे अपराध बढ़ल अछि संगे राज्य सरकार किसान के हितक उपेक्षा क’ रहल अछि आ जाति आधारित राजनीति करैत अछि। एहि तमाम चीज सँ छुटकारा दियेबाक लेल पार्टी निर्णय कएलक अछि जे आगामी चुनाव मे राजद केँ समर्थन देल जाई। जनतब होयत जे पैछला चुनाव मे समाजवादी पार्टी चुनाव लड़ल छल आ एकोटा सीट नहि जीत सकल छल। हालाँकि एहि बातक अखनि खुलासा नहि भेल अछि जे पार्टी चुनाव लड़त वा नहि। लेकिन समाजवादी पार्टीक एहि फैसलाक बाद राजद राहतक साँस लेलक अछि।

दरअसल मुलायम सिंह आ लालू यादव दुनू संबंधित छथि। पैछ्ला चुनाव मे समाजवादी पार्टी पाँच सीट लड़ल छल। मुदा किछु प्रदर्शन नहि क’ सकल। लिहाजा एहि बेर समर्थन देबाक ऐलान क’ देलक अछि। समर्थन केँ बाद महागठबंधन लेल एकटा नीक संकेत मानल जा रहल अछि। ओना बतादी जे समाजवादी पार्टी केँ बिहार मे कोनो जनाधार नहि अछि। मुदा समर्थन सँ किछु ने किछु फायदा त’ जरूर भेटत एहन देखना जा रहल अछि।