पोस्टर वॉर पर नीतीश आ प्रधानमंत्री मोदी पर पप्पू यादवक तंज, “हमरा बियाह मे तू नटुआ, तोरा बियाह मे हम नटुआ”

0
787

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनाव केँ ल’ राजनीतिक बयानबाजी जोर पकड़ने जा रहल अछि। आरोप-प्रत्यारोप मे कोनो दल एक दोसर सँ पाछू नै रहय चाहैत अछि। एकबेर फेर जाप अध्यक्ष पप्पू यादव प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर हमला कएलनि अछि। पटना मे आयोजित प्रेसवार्ता मे प्रधानमंत्री सँ सवाल कएलनि अछि जे किछु साल पूर्व नीतीश कुमारक डीएनए पर कहल बात आ नीतीश कुमार द्वारा ओकर प्रतिउत्तर मे भाजपा संग कहियों दोबारा गठबंधन नहि करब बात केँ याद करबैत पुछ्लनी अछि। जे तखन केँ बात सही छल आकि वर्तामन मे जाहि तरहें प्रधानमंत्री द्वारा कहल गेल बात केँ पोस्टरक माध्यम सँ कहल गेल जे नीतीश अछि त’ बिहारक विकास संभव अछि।

दुनू पर कटाक्ष करैत पप्पू यादव कहलनि जे अखनि बिहार मे चुनाव अछि, तैं मोदी जी बिहारक बात क’ रहलाह अछि। मोदी नीतीश एक दोसराक पिछलग्गू अछि आ दुनू केँ कथनी करनि मे बहुत फर्क अछि। दुनू लेल एकटा कहावत सही बैसत अछि सूप दुसलनि चालनि केँ जेकरा पेनी मे अपने छिहतरीटा भुर। एतबे नहि दुनू नौटंकी क’ रहल अछि। ओ ओकरा नीक कहैत त’ ओहू ओकरा नीक कहैत अछि। माने हमरा बियाह मे तू नटुआ आ तोरा बियाह मे हम नटुआ साफ-साफ देखना जा रहल अछि।

पत्रकार सभ सँ बात करैत नीतीश पर आरोप लगेलनी जे बिहार मे जाहि तरहक बेरोजगारी बढ़ी रहल अछि, लोक आत्महत्या लेल मजबूर होयत। शिक्षा आ रोजगार मे राज्य सरकार निचला पायदान पर अछि। विकासक नाम पर जनता के मुर्ख बना रहल अछि। चुनावक समय शिलान्यास करैत अछि ई जनता संग छलावा थिक। बिहार मे जाहि तरहें अपराध आ बलात्कारक घटना बढ़ी रहल अछि की नीतीश कुमार एहि केँ सुशासन मानैत छथि।

पप्पू यादव कहलनि जे हुनक  सरकार बनत त’ शिक्षा मे सुधार, रोजगार आ किसानक समस्या केँ समाधान पहिल प्राथमिकता रहत। तीन साल केँ भीतर बिहार केँ एशिया मे स्थान दिया देब अन्यथा राजनीति सँ संयास ल’ लेब।