जाप केँ बदलल चुनाव चिन्ह, आब पप्पू यादव कैंची सँ कतरताह भ्रष्टाचारी सभक पंख

0
830

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे भले चुनाव आयोग अखनि चुनावी तारीख केँ घोषणा नै कएलक अछि, मुदा आयोग चुनावी तैयारी केँ अंतिम रूप द’ रहल अछि। केंद्रीय चुनाव आयोग बिहारक 12टा पार्टी केँ नव चुनाव चिन्ह आवंटित कएलक अछि। एही मे जन अधिकार पार्टी केँ चुनाव चिन्ह सेहो नया आवंटित कएल गेल अछि। निर्वाचन आयोग द्वारा जारी चुनाव चिन्ह केँ हिसाब सँ एही बेर पप्पू यादव केँ कैंची आवंटित कएल गेल अछि।  बतादी जे साल 2015 सँ हुनक पार्टी केँ चुनाव चिन्ह हाकी छल जे आब बदलि चुकल अछि। आब जाप बिहारक सभ यानि 243 सीट पर कैंची छाप चुनाव चिन्ह केँ संग चुनावी मैदान मे अपन उम्मीदवार उतारत।

पप्पू यादव कैंची चुनाव चिन्ह भेटला पर ख़ुशी व्यक्त करैत कहलनि जे “ कैंची केँ सहारे बिहारक जनता भ्रष्ट्राचारि आ लुटेरा सभक पंख काटत। संगे कहलाह जे हुनक पार्टीक प्रयास रहत जे कैंची एहिबेर जनता केँ चुनाव चिन्ह बनत और जनता केँ एकटा सशक्त विकल्प देत। पप्पू यादव नव भेटल चुनाव चिन्ह केँ बाद विपक्ष आ सत्ताधारी दल केँ चेतावनी दैत ऐलान कएलनि जे एके-47  आ 56 वला सेहो सम्हरी जाइथ। नै त’ एही कैंची सँ हुनका सबहक पेट मे भुर क’ देब। एतबे नही बिहारक विकास संग कोनो तरहक समझौता नै कएल जायत। पप्पू यादव मजाकिया होइत कहला पहिने हॉकी स्टीक आ बॉल सँ दुश्मन सभके छक्का छोड़बै छलहूँ आब कैंची सँ कुतरबाक काज करब।

मंगलदिन पप्पू यादव पटना पश्चिमी जिलाक पाली रॉड, मसौढ़ी मे जन अधिकार पार्टी लोकतांत्रिक जिला कार्यालय केँ उद्घाटन कएलनि। संगे मिलन सामरोह मे सैकड़ों लोक केँ पार्टीक सदस्यता दियौलनि। एही मौका पर कहलनि बिहार मे बदलाव केँ जरूरत छैक आ एकटा नया गठबंधन बनबाक चाहि जकर नेतृत्व कांग्रेस करैत होई। एक बेर फेर कांग्रेस प्रेम जाहिर करैत कहलाह जे कांग्रेस मे नेतृत्व क्षमता छैक आ ओ अपन सभ सहयोगी केँ संग ल’ चलि सकैत अछि।

बिहार सरकार पर आरोप लगावैत कहला जे आखिर नीतीश कुमार केहन विकास कएलनि जे बिहारक 38 जिला मे सँ 23 जिलाक बच्चा सभ कुपोषण केँ शिकार अछि। एतबे नहि सरकार गरीबी उत्थान लेल की केलक। किएक गरीब सभक जीवन स्तर एतेक निच्चा छैक। रोजगार लेल पलायन क’ रहल मजदूर लोकनि केँ लेल जिम्मेवार के छैक।