मुख्यमंत्रीकें आगमन सं पहिने सुरक्षा व्यवस्थाक पुख्ता इंतज़ाममे जुटल प्रशासन

    0
    402

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिलाक केवटामे विधानसभा अध्यक्ष विजय कुमार चौधरीक मांके श्राद्ध कर्ममे शामिल होबए आबि रहल मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सुरक्षाकें लए जिलाक आला प्रशासनिक आ पुलिस पदाधिकारीक दौर जारी अछि। मुख्यमंत्री 26 अप्रैल कए एतय आबय वला छथि, जाहि लेल सुरक्षा व्यवस्थाक खास इंतजाम कएल जा रहल अछि।

    रविदिन सुरक्षा व्यवस्थाक लय प्रभारी जिलाधिकारी संजय उपाध्याय आ एसपी नवल किशोर सिंहक नेतृत्वमे पुलिस व प्रशासनिक अधिकारी आरबी कॉलेज मैदान सहित केवटामे कार्यक्रम स्थलक निरीक्षण केलनि। अहि दौरान अधिकारी आरबी कालेज मैदानमे बनि रहल हेलीपैडक निरीक्षण केलनि।

    मौका पर समस्तीपुर सदर एसडीओ कुमार देवेंद्र प्रोज्जवल, सार्जेंट मेजर मिथिलेश कुमार सिंह, एएसपी संतोष कुमार, सीओ अजय कुमार, थानाध्यक्ष नरेश पासवान आदि मौजूद छलाह।