जनप्रतिनिधि’क अनदेखी के बाद एकटा शिक्षक करबौलनि सड़कक निर्माण

    0
    335

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ओना त बहुतो एहेन नेता आ जनप्रतिनिधि देखबाक लेल भेटैत अछि, जे केन्द्र तथा राज्य सरकार द्वारा देल गेल राशि के सेहो विकास कार्य मे उपयोग नहि क मात्र राजनीतिक रोटी सेकबा मे व्यस्त रहैत छथि।

    दोसर दिस एहनो सामाजिक लोक छथि जे, निस्वार्थ भाव सं समाजक लेल किछु करबा मे लागल रहैत छथि। एकरे एकटा उदाहरण छथि अमर जी झा। अमर जी झा उत्क्रमीत उच्च विद्यालय के शिक्षक छथि। ओ अप्पन वेतन स 35000 रुपैया जुटा कय तारडीह प्रखंड के लगमा पंचायतक बथैय गाम मे सड़कक निर्माण, मिट्टीकरण तथा खरंजाकरण करबेलनि। कियैक त सब जनप्रतिनिधि अहि काजक आश्वासन दय क ठगबाक काज करैत छलाह। जहन अहि दिस कोनो जनप्रतिनिधि ध्यान नहि देलनि त अमऱ जी झा अप्पन वेतन सं रुपैया जुटा क अहि काज के सम्पादित केलनि। अमर जी झा के अहि काजक चारु तरफ सराहना भय रहल अछि।