नाभा जेल ब्रेक सं नहि लेब सबक त भय सकैत अछि पैघ घटना

    0
    408

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर : पंजाबक नाभा जेल ब्रेकक घटना के बादो प्रशासन जेल परिसरक सुरक्षा मे दिलचस्पी नहि देखा रहल अछि। जेल परिसर के इर्द-गिर्द अतिक्रमणकारी कब्जा केने अछि, त मेन गेट पर अवैध ऑटो पार्किंग कायल जा रहल अछि। जेल तथा जिला प्रशासनक सुरक्षा मे एतेक लापरवाही बहुत पैघ खतरा के बुलावा दय रहल अछि।

    जेलक मेन गेट स जेल परिसर मे प्रवेश करैत छी त सुरक्षाक नाम पर महज दू गोट पुलिस जवान दिखाई दैत अछि। ओहो पूर्ण रुपे हथियार सं सुसज्जित नहि अचानक अगर जेल गेट पर कोनो आपराधिक वारदात भय गेल त, पुलिस मुकाबला करबा मे अक्षम देखायत अछि।

    गेट पर मौजूद एकटा पुलिस जवान कहलनि जे, भोर मे 7-12 कैदी स भेंटक समय होईत अछि। ओहि समय जेल गेट पर सैकड़ो लोकक भीड़ जुटल रहैत अछि। ओहि समय सुरक्षा के नाम पर महज दस टा पुलिसक जवान के तैनाती होइत अछि। जाहि मे दू गोट महिला पुलिसकर्मी सेहो रहैत अछि। चारि गोट जवान लग लाठी आ चारि गोट आर्म्स के संग मौजूद रहैत अछि।