निर्दय माँ अप्पन नवजात बच्ची के बोरी मे बान्हि कय कचरा मे फेंकली

    0
    416
    घटना ब्रह्मपुरा थाना क्षेत्रक ब्रजबिहारी गली के अछि। जतय भोर मे कचरा उठेबाक लेल आयल किछु बच्चा लावारिस पड़ल बच्ची के देखलक। जकरा बाद पुलिस के सूचना देल गेल। पुलिस बच्ची के अस्पताल मे भर्ती करबेलक। जतय डॉक्टर बच्ची के स्थिति के गंभीर बतौलक अछि। कचरा के ढ़ेर मे फेंकल गेलाक वजह सं बच्ची के सांस लेबा मे परेशानी भय रहल अछि।
    बच्ची के फेंकबाक ई मामला कोनो नव नहि अछि। 16 अक्टूबर क शहर के एकटा अस्पताल मे एकटा मां अप्पन बच्ची के गोद देबाक प्रयास कय रहल छली। माँ बेटी हेबाक कारने बच्ची के दूध पियेबा सं इंकार कय डेली। हांलाकि मामला पुलिसक हस्तक्षेप पर निपटि गेल। पिछला आठ दिन मे बच्ची के लय क ई तेसर मामला अछि।