सीतामढ़ी मे शहीद जवान के देल गेल श्रद्धांजलि

    0
    273
    21 अकटूबर 1959 कय एसआई कर्ण सिंह’क नेतृत्व मे सीआरपीएफ के गस्ती दल पर हॉट सं रि-प्रंग्स, लद्दाख मे चीनी सेना घात लगा कय हमला केने छल। जानहि मे दसटा जवान शहीद भय गेल छल।

    ई हमला तहैं भेल छल जहन भारतीय सेना 16000 फूट उचांई पर सीमा पर अप्पन कर्तव्यक निर्वहन कय रहल छल। ओहि शहीद जवान के अदम्य साहस आ त्याग के प्रति वर्ष 21 अक्टूबर कय पुलिस स्मृति दिवस के रूप मे मनाओल जाइत अछि।

    अहि कड़ी मे सीतामढ़ीक पुलिस समुच्चा भारत मे सब पुलिस इकाई के कर्तव्यक दौरान शहीद होबय वला पुलिसकर्मि के सीतामढ़ी ज़िला पुलिस परिवार द्वारा श्रद्धांजलि देल गेल। ज्ञात हो कि बिहार पुलिस के अलावा देश के विभिन्न पुलिस संगठन के शहीद पुलिसकर्मिक कुल संख्या 467 अछि।