तेजस्वी यादव पहुँचलाह लंदन, कारोबारी के देलनि बिहार एबाक नोत

    0
    282
    उपमुख्यमंत्री कहलनि जे, ease of doing business मे देशभर मे बिहार प्रथम स्थान पर अछि। बिहारक इंडस्ट्री पॉलिसी निवेश फ्रेंडली अछि। प्रवासी भारतीय बिहार मे शिक्षा, स्वास्थ्य, टूरिज्म, स्पोर्ट्स एवं हॉस्पिटैलिटी क्षेत्र मे निवेशक इच्छा जाहिर केलनि। उपमुख्यमंत्री सब निवेशक के बिहार सरकार दिस स सब प्रकारक सहायताक आश्वासन एवं औद्योगिक समूह के बिहार एबाक न्यौता देलनि।
    उतेजस्वी यादव कहलनि जे, ब्रिटेन मे फुटबाल फॉर यूनिटी के संस्थापक चरनजीत गिल एवं साउथ हॉल फुटबाल क्लब के प्रबंधक निदेशक, लंदन के साउथ हाल संसदीय क्षेत्र स ब्रिटिश लेबर पार्टीक सांसद बीरेंद्र शर्माक पुत्र बिहार मे फुटबॉल अकादमी खोलबाक योजना पर गहन चर्चा केलनि।