दरभंगा मे कहलनि जेपी नड्डा, जँ चुनाव मे राखब ध्यान, त’ मिथिलाक मखान केँ दुनियाँ मे बढ़ायब मान

0
1119

दरभंगा, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी सभा करब कोरोना काल मे खतरा सँ खाली नै छैक।  मुदा चुनावी साल मे एकर परवाह के करैत छथि। चुनावक अखन विधिवत घोषणा नै भेल अछि। मुदा राजनीतिक पार्टी सभमे चुनावी खुमार चढ़ी चुकल छनि। अपन दू दिवसीय कार्यक्रम केँ तहत बिहार पहुँचल भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा शनिदिन पहिने सँ तय कार्यक्रम केँ तहत दरभंगा पहुँचलाह।  दरभंगा स्थित मखाना अनुसंधान केन्द्र मे मल्लाह आ मखान उत्पादक किसान सभसँ संवाद कार्यक्रम छल। कार्यक्रम केँ संबोधित करैत जेपी नड्डा कहलाह जे बिहारक मिथिलाक मखान आई दुनियाँ मे पहुँच रहल अछि। मिथिलाक महक देश विदेश मे नाम क’ रहल अछि। करीब 600 करोड़ टाकाक व्यापार होइत अछि। हमर सरकार हरसंभव कोशिश मे लागल अछि जे कोना मिथिलाक मखान केँ दुनियाँ मे मान दिया सकी। एहि लेल जरूरी आधारभूत संरचना संग कौशल विकास पर सेहो ध्यान द’ रहल अछि। एही दिशा मे केंद्रक नरेन्द्र मोदी सरकार आत्मनिर्भर भारत पैकेज केँ तहत 1 लाख करोड़ टाका केँ व्यवस्था किसान वास्ते कएलक अछि।

मखान आ माछ उत्पादक किसान सभके संबोधित करैत जेपी नड्डा कहलनि पैछला सरकार सभके राजनीतिक इच्छाशक्तिक कमी छल। ताहि कारण बहुत काज नै भ’ पबैत छल। मोदी सरकार हरेक क्षेत्र मे काज करबाक लेल प्रतिबद्ध अछि। गरीब गुरबा आ किसानक जीवन मे बदलाव लेल मोदी सरकार निरंतर काज क’ रहल अछि। बिहारक प्रति सरकार सकारात्मक दिशा मे काज क’ रहल अछि। जकर परिणाम अछि जे मिथिला केँ दरभंगा मे एम्स आ हवाईअड्डा दुनू बनि रहल अछि।

आगामी चुनाव केँ ल’ इशारा करैत नड्डा कहलनि ऊँगली के ध्यान राखब त’ क्षेत्रक विकास सुनिश्चित बुझु। अन्यथा कियो पुछनाहर नहि रहत। ऊँगली के करामात छी जे देशक उड्डयन मंत्री एक बेर कहला पर दरभंगा पहुँच जाइत छथि। मिथिलाक सामरिक विकास लेल एनडीए सरकार जरूरी अछि। आब अहाँ सभके तय करबाक अछि जे आंगुर कतय दबाबी।

बतादी जे भाजपा केर राष्ट्रीय अध्यक्ष बनलाक बाद जेपी नड्डा केँ पहिल मिथिलाक दौरा छल। दरभंगा दौरा के राजनीतिक चश्मा सँ सेहो देखल जा रहल छैक। दरभंगा पहुँचला पर मिथिलाक परम्परा अनुसार हुनका पाग आ गमछा सँ स्वागत कएल गेलनि। हुनका संग एहि कार्यक्रम मे उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष डॉ. संजय जायसवाल, स्थानीय सांसद गोपालजी ठाकुर, मधुबनी केर सांसद डॉ. अशोक कुमार यादव, भाजपाक  प्रदेश उपाध्यक्ष सह पूर्व मंत्री नीतीश मिश्र आ अन्य नेता मौजूद छलाह।