पुलक अभावमे चचरी पर जानक दाव खेलाइत मैथिल, प्रशासनक उपेक्षा बनल जानलेवा

    0
    291

    फारबिसगंज,अररिया,मिथिला मिरर-रवि रोशन भगत ‘शक्तिः इ दृश्य जे अपने लोकनि देख रहलौ अछि इ कोनो आन ठामक दृश्य नहि अछि, अपितु इ मिथिलाक एकटा आम दृश्यक झलक थिक। इ दृश्य ओहि प्रदेशक थिक जाहि ठामक मुखिया स्वयंकें सुशासन बाबूक नाम सं सुशोभित करेवामे अपना आपकें गौरवांवित बुझैत छथि। इ दृश्य मिथिलाक कोसी क्षेत्रक थिक जे सतत दर्द बनि आम कोसीवासीक हृदयकें ब्यथित करैत रहैत अछि।
    जी हां, फारबिसगंज प्रखंडकें दक्षिण रामपुर पंचायतमे आइयो लोक दैनिक रूपे अपन जिनगीकें नित्य कोसीक छारैन सं लड़वामे लगा रहल अछि। कोसी सं निकलल रामपुर नहैरक नामक अहि नदी पर पुल नहि हेवाक कारणें रामपुर पंचायतक वार्ड संख्या 12 केर पांच सं छह सौ केर आबादीकें अहि बस्तीकें नित्य चचरी पर चढ़ी पार उतरय पड़ैत छन्हि। बेर-बेर जनप्रतिनिधि कें अहि संदर्भमे ज्ञापन देल गेल मुदा ओहोठाम सं कोनो समुचित जवाब आ कार्रवाई नहि भेलाक बाद आ स्थानीय स्त्रीगण लोकनि अहिकें विरूद्ध मोर्चा खोलि देलनि अछि।
    गामक महिलामे सावित्री देवी, सपना देवी, अख्तरी बेगम, सुशीला देवी, नानकी देवी, रीता देवी, अमेरिकार देवी सहित अन्य महिलागण मिथिला मिरर प्रतिनिधिकें कहलनि जे लो लोकनि आब अहि बातकें लय शासन-प्रशासन तक जेवाक प्रकल्प लेलनि अछि। किछु जगह सं आश्वासन सेहो भेटलनि मुदा एखनो धरि कार्यकें शुभारंभ नहि भेला सं स्थानीय जनतामे आक्रोश आ निराशाक भाव साफ देखल जा रहल अछि। आब इ देखब दिलचस्प हैत कि जे कार्य स्थानीय पुरूष लोकनिक अगुआईमे नहि भेल कि ओकरा स्त्रीगण लोकनि करा लेतीह आ कि स्थानीय प्रशासन आ जनप्रतिनिधिक निन्न अहिना कुंभकरणक निंद बनल रहल?