एशिया कप टी-20 में भारत के विजय अभियान जारी

    0
    289
    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश कुमार झाः संकटक घड़ी में रोहित शर्मा द्वारा खेलल गेल बेजोड़ पारी और हार्दिक पांड्या के आलराउंडर प्रदर्शन स भारत एशिया कप के पहिल टी.20 मैच में मेजबान बांग्लादेश के 45 रन स हरा क टूर्नामेंट में अपन अभियानक शानदार आगाज केलक।
    पहिने बल्लेबाजी के न्यौता पाबि भारत पहिल दस ओवर में मात्र 52 रन पर तीन विकेट गवा लेने छल, मुदा रोहित के 55 गेंद पर सात चौका और तीन छक्का के मदद स खेलल गेल 83 रनक जबर्दस्त पारी तथा पांडया के 18 गेंद पर 31 रनक तेजतर्रार पारी स भारत अंतिम दस ओवर में 114 रन बना छह विकेट पर 166 रन के चुनौतीपूर्ण स्कोर तक पहुंचवा में सफल रहल।
    बाद में बल्लेबाजी करैत बांग्लादेश पहिल दस ओवर में तीन विकेट पर 51 रन बना जितबाक उम्मीद कायम रखने छल, मुदा अंतिम दस ओवर में भारतीय गेंदबाज बांग्लादेश के मैच में वापसी करबाक कोनो मौका नहि देलनि। बांग्लादेश 20 ओवर में सात विकेट पर मात्र 121 रन बनौलक। सब्बीर रहमान बांग्लादेश दिस स सर्वाधिक 44 रन बनौलनि। भारत दिस स गेंदबाज आशीष नेहरा 4 ओवर में 23 रन दय 3 विकेट लेलनि जहन की जसप्रीत बुमराह दोसर छोड़ स बांग्लादेशी बल्लेबाज पर दबाव बनाबय में नेहरा के बखूबी संग देलनि।