जेईई मेन परिणाम मे ईशान बिहार टाॅपर, अश्विनीकें भेटलनि दोसर स्थान

    0
    323

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झा/निशांत कुमार झाः सेंट्रल बोर्ड आॅफ सेकेंड्री एजुकेशन (केन्द्रीय माध्यमिक शिक्षा बोर्ड) अर्थात (सीबीएसई) कऽ ज्वाइंट एंट्रेंस एग्जामिनेशन (संयुक्त प्रवेष परीक्षा) कऽ परिणाम बुधदिन निकाली देकल। अहि परिणामक बाद सफल छात्र-छात्राक लोकनिक प्रवेश आईआईटी सहित अन्य इंजीनियरिंग संस्थानमे हेतनि।
    ईशान बनलाह बिहार टाॅपर, जखन कि अश्विनी सेकेंड टाॅपर:
    सीबीएसई द्वारा जारी कैल गेल जेईई मेनकें परिणाम मे बिहारक ईशान तरूणेश कें बिहारमे सर्वाधिक अंक प्राप्त भेलनि अछि। ईशान कें कुल 296 अंक प्राप्त भेलनि। तहिना पटनाक अश्विनी कें बिहारक सेकेंड अर्थात दोसर टाॅपर बनवाक गौरव प्राप्त भेलनि अछि। अश्विनी अहि सफलताक श्रेय अपन पिता ओम प्रकाश पांडे्य आ माता विद्यावती पांडे्य कें दैत छथि। अश्विनीक पिता ओम प्रकाश पांडे्य छपरामे एडिशनल जिला जज कें रूपमे कार्यरत्त छथि, जखन कि बिहार टाॅपर ईशान तरूणेश कें पिता सुनील कुमार राज्यक पुलिस महानिरिक्षक (मुख्यालय) छथि।
    सुपर-30क सब विद्यार्थी सफल:
    अहि परिणाम मे आनंद कुमार संचालित सुपर-30 कें सब बच्चा सफल भेलाह अछि। आ एक बेर फेर सं आनंद कुमार सफलताक झंडा गाड़लाह। परिणाम सं गदगद आनंद कुुमार मीडिया सं कहला जे सूबेक परीक्षा परिणाम बहुत नीक रहल अछि आ छात्र लोकन कें एडवांस पर कनि बेसी ध्यान देवाक चाही।
    पूर्व डीजीपी अभयानंदक ‘रहमानी सुपर-30 कें 25 मे सं 23 छात्र उतीर्ण:
    बिहार पूर्व पुलिस महानिदेशक अभयानंद द्वारा संचालित रहमानी सुपर-30क सेहो परिणाम जबरदस्त रहल। अहि बेर संस्थानक 25मे सं 23 गोट छात्र सफल रहलाह। अभयानंद द्वारा देश भरिमे संचालित सेंटर मे पढ़ैय वला 600 मे सं 500 सौ बच्चा परीक्षामे उतीर्ण भेलाह अछि। मीडिया सं बातचीत करैत अभयानंद कहला जे राज्यक लेल नीक परिणाम रहल आ परिश्रम करय वला छात्रक लेल सफलताक नव द्वारा अवश्ये खुजत।
    परीक्षाक कटआॅफ अहि प्रकार छल:
    सामान्यः 100
    ओबीसीः 70
    एससीः 52
    एसटीः 48
    सामान्य वर्गक लेल अहि बेर कटआॅफ पैछला तीन सालमे सब सं कम छल। पैछला साल कटआॅफ 105 पर छल जखन कि ओहि सं पूर्व सालमे कटआॅफ कें 115 पर राखाल गेल छल। अहिबेर परीक्षाक प्रश्नक स्तर कठीन हेवाक कारणें कटआॅफ कें 100 पर राख गेल छल।