भागलपुर के डाकघर मे जमा 60 करोड़क पुरान नोट नहि लय रहल अछि बैंक

    0
    315

    भागलपुर, मिथिला मिरर: नोटबंदीक बाद डाकघर के समक्ष नव मुसीबत आबि गेल अछि। डाकघर मे जमा करोड़ो के 500 व 1000 के पुरान नोट बैंक नहि लय रहल अछि। सरकारक निर्देश पर प्रधान डाकघर मे पुरान नोट के जमा करबाक काज एखनहु जारी अछि। अनुमानक मुताबिक 10 नवंबर के बाद सं प्रधान डाकघर मे लगभग 60 करोड़ रुपैया जमा भय चुकल अछि।

    बैंकक जमा नहि लेबा सं एतेक पैघ रकम प्रधान डाकघर मे रखनाई मुश्किल भय रहल अछि। डाक अधिकारीक शिकायत अछि जे, एसबीआइ ई रकम जमा लेबय सं मना कय देलक अछि। सुरक्षाक लिहाज स डाकघर के लेल एतेक पैघ रकम के संभालनाई मुश्किल भय रहल अछि।

    ज्ञात हो कि प्रधान डाकघर के अलावा 40 उप डाकघर सहित 400 सं अधिक ब्रांच डाकघर मे पुरान 500 आ 1000 के नोट बदलल गेल अछि।