चुनावी रंजिश मे युवकक हत्या, तमसायल लोक केलक पुलिस पर हमला

    0
    544

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर मे चुनावी रंजिश मे एकटा युवकक हत्या कय देल गेल। घटना जिलाक विभूतिपुर थाना क्षेत्रक बताओल जा रहलअछि। हत्या के अहि वारदात सं तमसायल लोक जमि कय हंगामा केलनि आ पुलिसक जीप के उल्टा देलनि। बताओल जा रहल अछि जे, विभूतिपुर पुलिस देसरी धनिया चौर स मृतक के लहास बरामद केलक अछि। युवकक हत्या चाकू स कायल गेल अछि।मृतकक पहिचान बेगूसराय जिलाक भगवानपुर थाना के बनोली गामक मुकेश कुमार के रूप मे कायल गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार मृतक अप्पन बहिनोई भुसवर पंचायत के मुखिया मनोज कुमार के घर पर रहैत छल। 17 सितम्बर के राति मे विश्वकर्मा पूजा के दौरान सांस्कृतिक कार्यक्रम देखबाक लेल गेल छल। हत्याक अहि वारदात स तमसायल लोक हत्याराक गिरफ्तारीक मांगक लेल लगभग आठ घंटा सड़क जाम कय हंगामा केलनि।

    मौका पर पहुँचि कय समस्तीपुर एसपी नवल किशोर सिंह अपराधी के 24 घंटा के भीतर गिरफ्तार करबाक आश्वासन देलनि, जाहि के बाद लोकक आक्रोश शांत भेल। अहि मामला मे परिजनक बयान पर विभूतिपुर थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल।