बिहार मे कक्षपाल परीक्षा’क पर्चा लीक

    0
    312

    पटना, मिथिला मिरर: कक्षपाल भर्तीक लेल रविदिन भेल परीक्षा मे पैघ धांधली आ अव्यवस्था सामने आयलअछि। परीक्षा मे जमि कय नकल भेल। ओतहि कर परीक्षा केंद्र स पर्चा लीक हेबाक मामला सेहो परख मे आयल अछि। हालांकि केंद्रीय चयन परिषद पर्चा लीक हेबाक बात सं इंकार केलक अछि।

    सूत्रक अनुसार पुलिस अहि मामला मे बहुतो लोक के गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तार कायल गेल लोक लग स्मार्टफोन बरामद भेल अछि आ मोबाइल मे वाट्सएप के माध्यमे प्रश्न परीक्षा केंद्र स बाहर भेजबा आ जवाब मंगेबाक खेल कायल जा रहल छल।

    ज्ञात हो कि राजधानी समेत सब जिला मे परीक्षा लेल जा रहल छल। परीक्षाक आयोजन 1100 स अधिक खाली जगह पर भर्तीक लेल कायल गेल छल।

    सूत्रक अनुसार डीजी केएस द्विवेदी कहलनि जे, ई एकटा गंभीर मामला अछि। एकर जांच कराओल जायत। मामला मे सेंटर अधीक्षक तथा इनविजिलेटर पर प्रशासनिक कार्रवाई सेहो कायल जायत।