चुनाव लेल राजद तैयार, नीतीश पर तेजस्वीक तंज, भाजपाक सर्फ सँ नहि छुटत नीतीशक चेहरा पर लागल दाग

0
656

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे विधानसभा चुनावक आधिकारिक ऐलान केँ बाद तेजस्वी यादव कहलनि अछि जे चुनाव आयोगक फैसलाक हम स्वागत करैत छी। हम आश्वस्त छी, किएक त’ बिहारक लोक एहि सरकार सँ छुटकारा चाहैत छथि। चुनावी रणनीति केँ खुलासा करैत कहलनि जे एहि चुनाव मे हमर सीधा मुकाबला भाजपा संग अछि। जदयू चुनाव मे कोनो मायने नहि रखैत अछि। बिहार मे राजद महागठबंधन केँ प्रमुख हिस्सा अछि। राजदक गठबंधन कांग्रेस आ वामपंथी दलक संग अछि। सीट शेयरिंग केँ मुद्दा पर कहलनि जे दोसर गठबंधन मे सीट बँटवारा भ’ गेल की? एतेक जल्दबाजी किएक।

तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ भाजपा पर हमला करैत कहलाह जे जनता जनादेशक अपमान केँ बदला जरूर लेत। नीतीश कुमार केँ चेहरा पर जे भ्रष्टाचार, छल आ अपराधक दाग लागल अछि ओ भाजपाक सर्फ सँ किनहूं नै छुटी सकैत अछि। एहिबेर हमर जीत तय अछि। बिहारक जनता नरेंद्र मोदी आ नीतीश कुमार सँ बदला लेबाक लेल आतुर अछि। प्रधानमंत्री मोदी पर हमला करैत कहलाह जे यैह मोदी जी छथि जे नीतीश कुमारक डीएनए पर सवाल उठेने छलाह, मुदा सत्ता केँ लोभ मे नीतीश कुमार हुनके कोरा मे जा बैस गेलाह। हुनका मात्र कुर्सी सँ प्यार छनि बिहारक जनता सँ नहि। नीतीश कुमारक विश्वसनीयता पूर्ण तरहें उजागर भ’ चुकल अछि आ जनता हुनक असली चेहरा पहिचान चुकल छथि। आखिर कहिया धरि भाजपाक शरण मे बैसताह। हिम्मत छनि त’ अकेले चुनाव लड़ी क’ देखैत औकाद पता चलि जेतनि।

कोरोना काल मे चुनाव होमय जा रहल अछि। राजद केँ जे राय देबाक छल ओ देने छल। अंतिम निर्णय चुनाव आयोग केँ करबाक छल आब जे फैसला आओल अछि पार्टी स्वीकार करैत चुनावी मैदान मे उतरत। राजद आब लाठी सँ लैपटॉप तक आबि चुकल अछि। वर्चुअल आ डिजिटल माध्यम सँ जनता धरि अपन बात राखब। चुनाव मे बेरोजगारी,किसान, पलायन,अपराध आ भ्रष्टाचार प्रमुख मुद्दा रहत।