पंडौल मे 775 लीटर शराबक संग तीन गिरफ्तार

    0
    285
    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के पंडौल थाना क्षेत्रक तीन टा अलग-अलग जगह पर छापेमारी कय पंडौल पुलिस 139.5 लीटर अवैध शराब संग तीन गोटे के गिरफ्तार केलक अछि। पंडौल थाना पर सदर डीएसपी कुमार इंद्र प्रकाश कहलनि जे, पुलिस के भेटल गुप्त सूचनाक आधार पर पंडौल मोकरी टोल मे दू जगह व सती स्थान के समीप एक जगह पर थानाध्यक्ष अनिल कुमार दल बल समेत छापा मारलनि।
    मोकरी टोल स हजारी साफी के ओतय सं झोरा मे राखल रॉयल स्टैग के 180 एमएल के 25 व इम्पेरियल ब्लू के 40 टा बोतल बरामद कायल गेल। मोकरी टोलक रिंकू साफी के ओतय सं झोरा मे राखल इम्पेरियल ब्लू 180 एमएल के 134 बोतले व छह कार्टन मे राखल 180 एमएल के 288 बोतल बरामद भेल अछि।
    सती स्थान मे परीक्षण साह के ओतय छहकार्टून मे राखल इम्पेरियल ब्लू के 180 एमएल के कुल 288 बोतल बरामद कायल गेल। पुलिस के तीनु जगह स 180 एमएल के 775 बोतल शराब बरामदगी भेल अछि। डीएसपी कुमार इंद्र प्रकाश कहलनि जे, गिरफ्तार तीनु आरोपी स पूछताछ जारी अछि।