बिहार मे बाढ़ि के चेतावनी, गंगा खतराक निशान सं ऊपर

    0
    269
    गंगाक तट पर स्थित बिहारक जिला के आय अलर्ट जारी कय चेताओल गेल। केंद्रीय जल आयोग गंगा बेसिन जिला के चेतावनी दैत कहलक अछि जे, अगिला एक स पांच दिन मे नदिक जल स्तर और बढ़बाक अनुमान अछि।
    आपदा प्रबंधन विभाग अप्पन एकटा बयान मे कहलक जे,  गंगाक जलस्तर बढ़बाक कारने नदिक तट पर बसल जिला पटना, बक्सर, भोजपुर, मुंगेर, सारण, वैशाली, भागलपुर आ समस्तीपुर मे पानि घुसय के खबरि अछि। विभाग कहलक जे, राष्ट्रीय आपदा मोचन बल (एनडीआरएफ) के दल पहिनहि स पटना, वैशाली आ गोपालगंज मे मौजूद अछि। जहन कि एसडीआरएफ के पटना आ भागलपुर मे अलर्ट पर राखल गेल अछि।

    बयान मे कहल गेल अछि जे, गंगाक संगहि अन्य चारिटा नदी पुनपुन, घाघरा, कोसी आ बूढ़ी गंडक पटना, भागलपुर आ बक्सर जिला मे खतराक निशान स ऊपर बहि रहल अछि।