खाईध मे गाड़ी खसलाक कारने चारि गोट कांवरियाक दर्दनाक मौत

    0
    295

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर जिलाक अकबरनगर के भवनाथपुर गामक समीप शनिदिन भेल एकटा सड़क हादसा मे चारि टा कांवरियाक मौत भय गेल। जानकारीक अनुसार सब कांवरिया टाटा मैजिक पर सवार भय क बासुकीनाथ स पूजा करबाक बाद सुलतानगंज आबि रहल छलाह, ताहि दौरान गाड़ी सड़क के किनार मे पानि स भरल खाइध मे खसि पड़ल।

    मरय बला मे तीन टा बच्चा आ एकटा वृद्ध शामिल छथि। तीन टा लाश के पानि स बाहर निकालल जा चुकल अछि, जहन कि एकटा के तलाश जारी अछि। घटनाक जानकारी भेटलाक बाद मौका पर पहुंचल पुलिस द्वारा स्थानीय लोकक मददि स राहत कार्य शुरू कायल गेल।