दिल्ली नगर निगम चुनावमे मैथिल उम्मीदवारक परचम

    0
    284

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली नगर निगम चुनावमे पूर्वांचली मतदाताकेँ लभेबाक लेल विभिन्न राजनीतिक दल द्वारा मैथिल लोकनिकें टिकट देल गेल छल। जाहिमे बहुत ठाम  सं प्रत्यासीकेँ जीत हासिल भेल अछि त बहुत ठाम हार। जाहि सीट पर मैथिल प्रत्यासी सब जीतलाह ओहिमे अधिकांश प्रत्यासी भाजपाक टिकट पर चुनाव लड़ि रहल छलाह।

    विभिन्न सीट पर जीतल मैथिल उम्मीदवार अहि तरहेँ छथि। निठारी  सं भाजपा प्रत्यासी सोना चौधरी, मुबारकपुर सं भाजपा प्रत्यासी पूनम परासर झा, संत नगर सं भाजपा प्रत्यासी कल्पना झा, दिलसाद कॉलोनी सं भाजपा प्रत्यासी इंदिरा झा, सोनिया विहार सं भाजपा प्रत्यासी सुषमा मिश्रा, हैदरपुर सं भाजपा प्रत्यासी सुजीत ठाकुर, सईदुल्लाजाइब सं भाजपा प्रत्यासी संजय ठाकुर, स्वामी श्रद्धानंद कॉलोनी सं भजपा प्रत्यासी विजय भगत आ विकास नगर सं भाजपा प्रत्यासी रणधीर कुमार जीत चुकल छथि।

    एखन धरि मतगणना जारी अछि, विशेष अपडेट किछु कालमे भेटत….